पेज

सोमवार, 26 अगस्त 2013

जगदम्बा आजु जागलनि हे

दुर्गा भजन

जगदम्बा आजु जागलनि हे
देखू हँसि हँसि फूल फुलाओल हे

जागल धरती जागलनि देवता
सब मिल स्तुति गाओल हे
जगदम्बा . . .

कोइली कुहकल मोरबा नाचल
आइ गरम बसात शीताओल हे
जगदम्बा . . .

दाइ-माइ चलली खोंइछ भरै लए
दूइभ फूल अक्षत चढ़ाओल हे
जगदम्बा . . .

कर जोड़ि विनती सब किओ करय
"अमित"क आश पुराओल हे
जगदम्बा . . .

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें