पेज

शुक्रवार, 17 जुलाई 2015

वर्णमाला : द

बाल कविता- 196
वर्णमाला : द



"द"सँ दही
खएले करी

चिन्नी के आनि
चूड़ामे सानि
सुरकल करी
खूबे दही

दहीकेँ तोड़ि
पातर कऽ घोरि
पीयल करी
सरबत दही

करहीमे घोरि
भातोमे बोरि
खएले करी
ताजा दही


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें