आजुक जतरे खराब छल ।भोरेसँ माँथ दर्द क' रहल अछि ।भरि दिनक मंथनक बाद निस्कर्ष भेटल जे टिचिंग सबसँ खराब प्रोफेशन छै ।आइ काल्हि आदर्श बननाइ, निःस्वार्थ भावसँ शिक्षा देनाइ आ छात्रकेँ नीक बाट देखेनाइ बड पैघ अपराध अछि ।आब शिक्षाक सेहो राजनीतिकरण भेल अछि तेँ एहि फिल्डमे ठग बनब परम् आवश्यक अछि ।आब मास्टर मुर्ख आ छात्र बुधियार भ' गेल अछि ।एहि फिल्डमे किछु नीक करब त' मारि होयत, असहनिय आलोचना होयत, आ जँ नै सकब त' फिल्ड बदलि लिअ ।आब एत' कोनो योजना नै, मानसिक प्रताड़ना चलै छै ।एहि प्रोफेशनमे शिक्षित करबाक कोशिश केनाइ, मने उक्खरिमे मूड़ी देनाइ ।आब सत्ते एहि लाइनकेँ छोड़ि देबाक मोन होइये ।राजनीति देख घृणा उत्पन्न भ' गेल अछि ।रियली फिलिंग सैड .....
हम सब तुच्छ प्राणी छी मीत, ई शोहरत अहींकेँ मुबारक ।एहि राजनीतिक फिल्डमे धन्यवादक पात्र छी अहाँ ।धुर्तैमे ठठै बलाकेँ अपन प्रतिद्वंदी बनाउ ।आइ वान्ट टू लिभ लाइक ए नॉर्मल क्रियेचर .....
पेज
▼
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें