प्रेममे फेर हमहीं नफा लेलियै
अपन जिनगी अहाँ के बना लेलियै
शान्त सरोवरमे जेना कुमुदनी फुलल
मनमे प्रेमक उपवन फुला लेलियै
जेना मीरा रंगल श्यामक रंगमे
एगो राधा लए तहिना रंगा लेलियै
छंदकेँ फंदमे जेना आखर फसल
तहिना दिलकेँ कतौ फँसा लेलियै
फेर भेलै प्रभात बहल पुरबा बसात
देख फोटो प्रियाक गुनगुना लेलियै
🎹🎹🎹🎹🎹🎹🎹🎹🎹
✒✒अमित मिश्र
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें