प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 14 नवंबर 2015

कोना कऽ पूजा पाठ- छठि गीत

कोना कऽ पूजा पाठ कोना हेतै यौ
सजना यौ कोना हेतै यौ
सजना यौ आबि गेलै छठी के त्योहार से पूजा पाठ कोना हेतै यौ

आदित बाबा सबटा सजनी पार लगेथिन यै
सबटा पार लगेथिन यै
सजनी यै रौणा करथिन पूजा के उपाइ से पूजा पाठ हेबे करतै यै

कोना कऽ आनबै डाला अंकुरी अक्षत यौ
सजना यौ अंकुरी अक्षत यौ
सजना यौ कोना क के आनबै फल कुशियार से पूजा पाठ कोना हेतै यौ

हटिया सँ आनबै डाला अंकुरी अक्षत यै
यै सजनी ठकुआ पूरी हे
सजनी यै खेत सँ लऽ आनबै फल कुशियार से पूजा पाठ हेबे करतै यै

बड देर भेलै सुरूज नै एलनि गगनमा यौ
सजना नै एलनि गगनमा यौ
सजना यौ गेलखिन छठी मैया बिसरि से मैया कोना दर्शन देथिन यौ

जुनि आस छोडू मैया एबे करथिन यै
सजनी यै एबे करथिन यै
सजनी यै बाट मे हेतै किओ और दुखीत से ओकरा ठीक क क एथिन यै

गायक- महंत झा

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें