प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शुक्रवार, 16 जून 2023

कहमुकरी

#कहमुकरी
1
सदिखन हमर चिन्ता करय
हमरा खातिर हमरेसँ लड़य
कहय देहपर चढ़बू माँउस
के सखि साजन ?
ने सखि साउस |
2
सब सप्ताहे गामे आबथि
गाल रगड़ि क' लाले करथि
प्रेम करै छन्हि हुनका गौंआ
के सखि साजन ?
ने सखि नौआ ।

अझुका #कहमुकरी
रहथि गरम त' नीक लागै छथि
ठंढामे बड़ इयादि आबै छथि
ठोर सटथि त' मन कहय वाह
के सखि साजन ?
ने सखि चाह |

#कहमुकरी
हमरे निज संसार बुझै छथि
हमरा गारा केर हार बुझै छथि
लागय जेना हमरामे लस्सा
के सखि साजन ?
नै सखि, बच्चा ?

बुधवार, 22 जनवरी 2020

नानीक कुकुर

5.62
कुकुर एकटा पोसलक नानी
भानस   घरमे    घुसलै   ओ
तामसे नानी ने  देलकै  रोटी
एहि   लेल   त'   रूसलै  ओ

चिड़ियाँ

5.61 चिड़ियाँ

हमर आंगन सुन्दर चिड़ियाँ
गहुँम  बिछै  लए  आबै  छै
ल'ग बजाबी जतबे ओकरा
ओतबे   दूर  ओ   भागै  छै
बैस चारपर  गीत  गाबि क'
हमरा    खूब    सिहाबै   छै

ललका फुक्का

5.60 ललका फुक्का

हाथसँ   छूटलै
ललका फुक्का
सीधे उपर   उड़ल जाए
कुदि-कुदि क'
पकड़अ चाही
मुदा दूर ओ भागल जाए

©अमित मिश्र

अरे बाप रे

5.59
अरे बाप रे

सगरो करिया भरल कुहेस छै
अरे बाप रे
कम्बल ओढ़ने  सगर  देश  छै
अरे बाप रे

ओस खसै छै झीसी  बनि क' आंगनमे
बाट भिजै छै ओहिना जहिना सावनमे
एक   बीत  ने  बचल  शेष  छै
अरे बाप रे
कम्बल ओढ़ने  सगर  देश  छै
अरे बाप रे

ख'ढ़ अ'ढ़सँ कुकुरबा  कुहरब  बंद भेल ने
कनकन्नी बिसबिस्सी किछुओ मंद भेल ने
सुरूजक नै किछु लवलेस छै
अरे बाप रे
कम्बल ओढ़ने  सगर  देश  छै
अरे बाप रे

भोंकि रहल छै सुलफा किओ पएर हाथमे
गँती   त'रमे   स्वेटर   बूसट  टोपी   माँथमे
अनमन एलियन सन  भेष छै
अरे बाप रे
कम्बल ओढ़ने  सगर  देश  छै
अरे बाप रे

बात नीक  एक्कहि टा जे  इस्कूल छै बन्दे
सीरक त'रमे पढ़ब लिखब खेलब छै धन्धे
निकलैमे बाहर बड़ कलेस छै
अरे बाप रे
कम्बल ओढ़ने  सगर  देश  छै
अरे बाप रे