प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 16 अक्तूबर 2013

पाकतै कोना झिल्ली कचरी?

पाकतै कोना झिल्ली, कचरी?

झम झम वर्षा बरसि रहल अछि
पाकतै कोना झिल्ली, कचरी ?
वातावरण शीताएल लागैत अछि
मसुआ गेल टाका नमरी
भगजोगनी कतौ पड़ा गेल अछि
नुका गेल अछि विषपिपरी
तरेगणक बल्ब फ्यूज भेल अछि
चान लपेटने फाटल केथरी
सानल माँटि दही सन कादो
बाटपर बहल पनितुर्री
चेरा भीजल, गोइठा भीजल
फाटल तिरपाल चिर्री-चिर्री
छनाक छनाक लोहियामे उठेत
पानि चुबै छै बड एबरी
बहलै बिहाड़ि, उधियेलै मेला
पाकतै कोना झिल्ली, कचरी ?

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें