प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

सोमवार, 25 मार्च 2013

यै भौजी खेलब रंग




दौड़ा दौड़ा कऽ पोतब रंग
कना कना कऽ लेपब रंग
अंग-अंगपर फेकब रंग
खेला-कुदा कऽ खेलब रंग
हँसा-हँसा कऽ राँगब रंग
डेरा-डेरा कऽ बाँटब रंग
फाड़ि कपड़ा पोतब रंग
फँसा झगड़ा खेलब रंग
आगूसँ हम लेपब रंग
पाछूसँ हम उझलब रंग
उपरसँ हम ढारब रंग
नीच्चाँसँ उड़ाएब रंग
नाँचि-नाँचि लगाएब रंग
नचा-नचा खेलाएब रंग
भाँग खुआ देखाएब रंग
दारू पिया लगाएब रंग
खुश वा दुखी होइ पोतब रंग
यै भौजी अहीं संग खेलब रंग

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें