प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अगस्त 2019

किए

5.36 किए

एकटा बात बता रौ  मुन्ना
नीक लागय किए  घरेपर
एहन मजा भेटय ने कतौ
घुमि आएल छी चारू भर

पुरना गाड़ी   बस स्कूटर
किए चलैए   खटर खटर
सीटी मारय   किए कूकर
चढ़ि कने   आँचक उपर

कौआ संगे हवाइ जहाजो
किए   उड़ैए फर फर फर
जखन केबार खोलै छी त'
किए   करैए चर   चर चर

मच्छर   माँछी   किए करैए
आबि कानमे बड भिनभिन
सरजी ताकथि सभटा सबक
स्कूलमे   किए      गिनगिन

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें