प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अगस्त 2019

अबीर गुलाल

5.44 अबीर गुलाल

झुमकी चुमकी  देखबैत एलै
बड़ा गजब छल ओकर चाल
छुटकी संग    बलजोरी भेलै
चुटकी    भेलै   लाले    लाल
खूब    उड़ैए    अबीर गुलाल

रधियाकेँ  बुचिया  ध'  लेलक
सीधे  बाल्टी  रंग   उझललक
सभटा ओलि  सधाबय सोनी
भेल  छलय  जे  परूँका साल
खूब    उड़ैए   अबीर   गुलाल

सोनू   हरियर    रंग  ल'   एलै
इम्हर  मोनू   तंग     भ'   गेलै
मुँहपर     एते   रंग   रगड़लक
फूलि   लटकलै   ओकर गाल
खूब   उड़ैए    अबीर   गुलाल

रोहित   हाथ  नाचै पिचकारी
भेल   फुक्कासँ      मारामारी
सुमन  भुवन   सभ बाजै छलै
मोन    रहत एहि बेरका साल
खूब   उड़ैए    अबीर   गुलाल

लागै   इन्द्रधनुष    छै  उतरल
सगरो   धरती    रंगे    पसरल
प्रेम   भाव  केर  पावनि होली
भाइचारा   सभ   ठाम बहाल
खूब   उड़ैए   अबीर    गुलाल

2019/03/20 21:15

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें