प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अगस्त 2019

नित दिन भोरे भोर

5.45 नित दिन भोरे भोर

सुग्गा-मैना गीत गबैए
लाल-पीयर फूल फुलाइए
ललका सूरज पूब उगैए
नित दिन भोरे-भोर

जीव-जंत सभ झुमि उठैए
धरती नव श्रृंगार रचैए
चान-तरेगण दुबकि रहैए
नित दिन भोरे-भोर

समयक सुइया चलि पड़ैए
नव काज सभ माँथ चढ़ैए
नव शक्तिक संचार करैए
नित दिन भोरे-भोर

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें