प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 18 नवंबर 2015

वर्णमाला : ज्ञ

छठिक संग हमर ई अनुष्ठान संपन्न भेल ।वर्णमाला अक्षरसँ चलि रहल बाल कविता श्रृंखलाक अंतिम वर्ण आइ परसि रहल छी ।ई पूरा श्रृंखला केहन लिखेलै आ एकरा पुस्तकाकार देलासँ किछु लाभ हेतै कि नै ? संग सुझाबक बाट जोहब ।

बाल कविता -220

'ज्ञ'सँ ज्ञानी बाँटथि ज्ञान
दुनियाँ हुनक करै सम्मान
ओ करथि विद्या केर दान
सब कहय हुनका गुणवान

मेहनति कऽ ज्ञान अरजलनि
तकरा मेहनतसँ बाँटैत रहलनि
घटलनि किछु नै बढ़िते गेलनि
मधुर बाजि कऽ मोन लोभेलनि

बौआ-बुच्ची आब संगे चलब
मोन लगा हमरे संग पढ़ब
देश-विदेशमे नाम कमायब
ज्ञानी बनी कऽ इज्जत पायब

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें