प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 14 नवंबर 2015

यै माँ बिसरि ने जेबै

यै माँ बिसरि ने जेबै, दशमी के दिन जा कऽ
बेटा कहैये एबै, डोली फेरो सजा कऽ

कुम्हरा देलक माँ कलशा, अरहुल देलक मलिनिया
पंडित बजा कऽ केलौ, नौ दिन हम पुजनियाँ
से ध्यान मैया रखबै, ममता अपन देखा कऽ
यै माँ.......

एलै कठिन समैया, दुनिया भेलै कसैया
फँसलौं भंवर मे हम, उबडुब करैये नैया
नाता अहूँ ने तोड़बै, हमरा टुगर बना कऽ
यै माँ.......

नैना बहै ये नीर, मन भेल बड अधीर
माँ बिन जीवन एना, जेना प्राण बिन शरीर
केशव अमित के रखबै, कोरा अपन बढ़ा कऽ
यै माँ.......

गायक-केशव राॅक
एलवम- माँ के वन्दना

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें