प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

रविवार, 3 जून 2018

चरिपतिया बेटी लेल

#चरिपतिया बेटी लेल
♡♡♡♡♡♡
दू परिवारक बीच सम्बन्धक
पूल बनाबय बेटी
धरती सन सहनशील बनि
सब बोझ उठाबय बेटी

∆∆∆∆∆∆∆
नैहरक दुखसँ सभ दिने
दुखित रहै छै बेटी
पड़ै काज त' बिना हकारे
दौड़ आबै छै बेटी

∆∆∆∆∆∆∆∆∆∆
छान पछौटा बान्हि-छान्हि क'
राखल जाइ छै बेटी
युग युगसँ संस्कारक साँचामे
ढालल जाइ छै बेटी

∆∆∆∆∆∆∆∆∆
छोट पैघ सभ टहल-टिकोरा
करैत रहै छै बेटी
ठाठ-बाठ भाइक देखि क'
नै जरै छै बेटी

∆∆∆∆∆∆∆∆∆∆

बेटा करय पढौनी बाहर
घर रहै छै बेटी
भेद-भाव ओ सहै अनेको
मुदा कहै नै बेटी

∆∆∆∆∆∆∆∆∆∆
सजा-धजा खोपड़ीकेँ सेहो
स्वर्ग बनाबय बेटी
भाइक सुख लए घर-द्वारिकेँ
छोड़ि क' आबय बेटी

∆∆∆∆∆∆∆∆
बेटा आब पछुआएल रहै छै
आगू बढ़लै बेटी
कोमल कली बुझु नै एकरा
ज्वाला बनलै बेटी

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें