प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

रविवार, 3 जून 2018

चरिपतिया भोर

#चरिपतिया भोर

भोर भेलै आब चलू मीत यौ
काज बहुत छै बाँकी
जीवन केर पथपर छै कंकर
आर कते से आँकी

★★★★★★★
भोरक हवा लगा देहमे
हेतौ जोश दुगुन्ना
अंकक मान बढ़ै छै जेना
लगबैत आगू शुन्ना

★★★★★★
जीवनमे एकहकटा भोरक
बड़ा मोल छै भाइ
भरि दिनक जे बनबय योजना
नहिं कतौ पछुआइ

★★★★★★★★
करी कामना जीवनमे फेर
आबै एहन भोर
विध्न कोनो वा कष्टक कहियो
चलै ने कोनो जोर

★★★★★★
सच्चाई केँ देखि क' टूटय
झूठक सभ गठजोड़
चान जेना सूरजसँ भागय
सगरो होइ इजोर

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें