प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अगस्त 2019

बाजयसँपहिने जोखि लिअ

5.40 बाजयसँ पहिने जोखि लिअ

एकहक टा आखरकेँ अहाँ
बाजयसँ पहिने जोखि लिअ
अनकर मन जे ठेस लगाबय
एहन बात सब सोखि लिअ

बंदूकसँ निकलल एक गोली
घुरि पुनः नै आबैए
बीत गेल जे समय एक बेर
फेर घुरि नै पाबैए
बादमे लाज ने पछतावा हो
से सभ पहिने सोचि लिअ
अनकर मन जे........

सभ ठाम मान दियाबै बोली
सगरो शान बढ़ाबैए
इएह बोली जे एकहिं क्षणमे
सभसँ मारि खुआबैए
घात करय से बातकेँ झट द'
अपने मनमे रोकि लिअ
अनकर मन.............

बाबन अक्षर मिला क' देखू
भाषा अपन बनाबैए
एकरे बलपर मानव मन केर
सभटा भाव बताबैए
नीक भाव जँ बता सकी त'
झट द' ककरो टोकि लिअ
अनकर मन.........

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें