प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 26 फ़रवरी 2013

शारदे माँ शरणमे छी आयल-गीत

शारदे माँ शरणमे छी आयल ,कने नैन खोलियौ ,दया दृष्टी करियौ

हम पूत अहाँ मोर जननी
तैयो लागल जीवन भरि कननी
जागू-जागू भोर माँ भेलै ,कने नैना .. . . . .

श्वेत साड़ी श्वेत हंसक सिंहासन
श्वेत कमलक बनल अछि आसन
हाथ विणाक स्वर सुनैयौ ,कने नैना . . . . . . .

ज्ञान बिनु हम अज्ञानी बनल छी
माँ कखनसँ चरणमे पड़ल छी
ज्ञानक भीख दऽ झोरी भरियौ ,कने नैना खोलियौ . . . . .

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें