प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

रविवार, 17 नवंबर 2013

अजीब प्रश्न

168. अजीब प्रश्न

"की अहाँ हमरासँ प्रेम करैत छी ?" बड अजीब प्रश्न पूछल गेल छल । आइ बारह वर्षक बाद अजयकेँ हुनक पूर्व प्रेमिका भेंटि रहल छली । एहन अवसरपर प्रेमिका द्वारा पूछल गेल प्रश्नक इच्छा तँ अजयकेँ नहिंये टा छल ।अपनाकेँ सम्हारैत अजय बाजल "इहो कोनो पूछैक बात छै ! अहाँ तँ हमर जीवनक निर्देशक छी ।अहीं तँ हमर साधना छी ।हमर प्रेमक डोरि तँ सदिखन अहाँसँ जुड़ल अछि ।" कहुना कऽ अपन बात पूरा करैत-करैत घामसँ नहा गेल छल अजय । अजयक स्वीकारोक्ति सूनि प्रेमिका बजली " तखन हमर एकटा काज कऽ अपन प्रेमक परीक्षा दिअ । अहाँ हमरा एकटा सन्तान दऽ दिअ ...आब गारि-मारि सहन नै होइत अछि ... बस एक राति लेल संग... ।" बात पूरा नै भऽ सकल ।आँखि नोरा गेल छलै आ कण्ठसँ सिसकारी फूटऽ लागल छलै जाहिमे आगूक शब्द दबि गेल छलै ।अजयक मोनमे भयंकर चक्रबात उठि गेल छल ।जबाब की देल जाए ? किछु फुराइते नै छलै ।बेर-बेर एतबे सोचैत छल, पैघ नाक बाला ई समाज कतेक प्रतारित करैत अछि जे कोनो वियाहल नारी एतेक नीच काज करबाक लेल मजबूर भऽ जाइत अछि !

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें