प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

सोमवार, 11 मार्च 2013

घैल

9.घैल

माँटि -पानिसँ बनल घैल
रौद -आगिसँ जरल घैल
नाचि-नाचि देह गरम केलक
मुदा ठण्ढ़ा पानि भरल घैल
खेलौना संग छै राखल घैल
इनारपर छै साजल घैल
तौला , कोहा एकर भाइ
उनटा भऽ पानिमे हेलल घैल

एकटा रोड़ा जँ लागल घैल
फूटि कऽ खपटा बनल घैल
पानिक टघार आँगन बहलै
सत्त मानू तखन कानल घैल

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें