प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शुक्रवार, 5 अप्रैल 2013

भनसाघर खोल

बाल कविता-27
भनसाघर खोल

थारी पीट बजेबौ ढोल
नै खेबौ हम सन्ना ओल
दऽ दे चिन्नी-पानिक घोल
ओहिसँ हम भीजेबौ लोल
भूखे सूखल आँतक खोल
माँ जल्दी भानसघर खोल
झट दऽ छान तिलौरी गोल
वा पका दे किछु एग-रोल

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें