प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 20 सितंबर 2014

सुन रौ गुल्टेनमाँ

बाल कविता-135
सुन रौ गुल्टेनमाँ

सुन रौ गुल्टेनमाँ
पोथीकेँ छोड़ि कऽ
पिनसिनकेँ तोड़ि कऽ
पकड़ महिसक नाथ
झट दऽ घुमा आ बाध

सुन रौ गुल्टेनमाँ
ओलकेँ कोरि कऽ
नेबोकेँ तोड़ि कऽ
बना कऽ दे नीक सन्ना
चलतौ नै दर्दक बहन्ना

सुन रौ गुल्टेनमाँ
सर्फकेँ घोरि कऽ
कपड़ाकेँ निचोड़ि कऽ
साफ कऽ ले ऐंठ बर्तन
तखने देबौ तोरा तीमन

सुन रौ गुल्टेनमाँ
पोथीकेँ भम्होरि कऽ
इस्कूलकेँ ओगरि कऽ
नै चलतौ तोहर पेट
हेतौ मरलाहा बापसँ भेट

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें