प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अक्तूबर 2015

मैया जागू ने

एलवम- मैया जागू ने
मैया, जागू ने
जागू मैया जागू ने
भेलै भोर नीन्न आब तोड़ू ने
मैया जागू ने

धरती जागल अम्बर जागल
देव पितर संग सब किओ जागल
जागू जागू सोझा आबू ने
मैया जागू ने-2

फूल गाबैये पात नाचैये
दर्शन लेल सब व्याकुल होइये
मैया सबके मनसा पुराबू ने
मैया जागू ने-2

अहीं छियै माँ सबके खेबैया
पार करू माँ अमितक नैया
माँ रितेशके भाग जगाबू ने
मैया जागू ने

Tum to pyar ho

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें