प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अक्तूबर 2015

भगवती गीत- जय जय माँ अम्बे

एलवम- मैया जागू ने
जय जय माँ अम्बे, अम्बे माँ जगदम्बे
छी दुर्बल हम हे माँ, कने शक्ति हमरा दे
एहि दुनियाँक बोझ कोना सहबै गे
दरद के पहाड़ कोना सहबै गे, कोना रहबै गे,,,,
जय जय माँ,,,,,,,,,,,,,,

कलयुग छै मैया बड पाप भऽ रहलै-2
जिनगी हमर अभिशाप भऽ रहलै
अहीं कहू माँ, कोना हम जीबै
बीच भँवरमे, डूबि कऽ मरबै
मैया मैया, नै छै नैया
टुटल तरूआरि लऽ कोना बचबै गे
सघन अन्हार कोना चलबै गे, कोना रहबै गे,,,,
जय जय माँ,,,,   

अहींक दुआरि मैया आबि बैसल छी-2
अपने बेटासँ माँ किएक रूसल छी
अहींक नाम माँ, हम जपै छी
सदिखन अहींक माँ, ध्यान धरै छी
मैया मैया, एबै कहिया
दरश बिनु माँ हम कोना जीबै गे
सिनेह बिनु तोहर, हम कोना रहबै गे, कोना  रहबै गे ,,,,,,,
जय जय माँ

सुनियौ ने विनती, हे मैया भवानी
हमर दुखक छै बड़ी टा कहानी
अहींक लग माँ, शक्ति भेटै छै
अहीं शरणमे माँ मुक्ति भेटै छै
मैया मैया, सुनबै कहिया
आँचर केर छाँह छोडि कतऽ जेबै गे
सिनेह बिनु तोहर हम कोना रहबै गे
कोना रहबै गे कोना रहबै गे,,,,,,
O meri mahbooba

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें