प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अगस्त 2019

नानीक दबाइ

5.49 नानीक दबाइ

तामससँ छै  सूरज  लाल
बुझा रहल पड़तै अकाल
गरम भेल छै एसी  फ्रीज
वर्षो छै बनि गेल सवाल

गरम हवा आ  गरमे पानि
लह लह  लू करै   छै हानि
डोलि रहल ने एकटा पत्ता
कोन उपाय करी नै जानि

एहिनामे  चलि  एलनि नानी
हम  कहलियै  सभ  कहानी
उपाइ देलनि ओ बहुते नीक
रहय आब ठंढ़ा घैलक पानी

कहलनि गाछ लगाबू आइ
एहि  रोगकेँ    इएह   दबाइ
हम त'  खेलौं सप्पत तखने
संग   अहाँ   देबै  ने    भाइ

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें