प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अगस्त 2019

बढ़ियाँ बौआ

5.48बढ़ियाँ बौआ

बैस समय नै व्यर्थ बिताबय
काज तुरत अपन सरियाबय
बढ़ियाँ बच्चा वएह कहाबय

झगड़ा-तगड़ा जे नै करय
प्रेम-भावसँ हिलमिल रहय
बढ़ियाँ बच्चा वएह बनय

माएक-बाबूक बात जे मानय
ने जिद करय ने कखनो कानय
बुझनुक बच्चा वएह कहाबय

सभक सम्मानक ध्यान राखय
झूठ-फूसिकेँ छल जे नै माखय
सभक स्नेहक स्वाद ओ चाखय

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें