प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अगस्त 2019

की देखै छी ?

5.47 की सिखै छी ?

की देखै छी ?
ह'र देखै छी
घ'र देखै छी
बैसल बरदक
ग'र देखै छी ।

की करै छी ?
रेल बनै छी
खेल खेलै छी
संगी सभसँ
मेल करै छी ।

की सिखै छी ?
जते पढ़ै छी
तते गुणै छी
सभक क'हल
हम करै छी ।

की बनै छी ?
भोर उठै छी
योग करै छी
मेहनत क' क'
निरोग बनै छी ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें