प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शनिवार, 14 नवंबर 2015

गीत- एलखिन दुर्गा महरानी

एलखिन दुर्गा महरानी से हम सपना देखलौं ना

आगू आगू भैरो भैया
पाछूसँ सब बहिनिया
से मोरे अंगना एलखिन ना

बहलै जे शितली बतरिया
चमलक माँ के चुनरिया
संगे कंगना बाजलै ना

केलखिन माँ हलुआ भोजनमाँ
देलखिन माँ सब के अशिषबा
अमित पर ढरिये गेलखिन ना

गायक- दिलिप दरभंगिया
गीतकार- अमित मिश्रा

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें