प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

रविवार, 20 दिसंबर 2015

पांचाली

197
पांचाली

हमर बेंचक पाछूक बेंचपर कातसँ बैसल ओ छौड़ी आ ओकरा संग बैसल पाँच टा छौड़ा मैथिल संस्कारपर प्रश्न चिन्ह लगा रहल छल ।दू टा छौड़ा ओहि छौड़ी के बाजै लेल कहलक आ छौड़ी आइ लभ यू बाजि देलक ।एकटा छौड़ा कैमरा लऽ तैयार छल ।पाँचोमे जे हैण्डसम छल छौड़ीक कान्हपर हाथ रखबे केलक कि दोसर छौड़ा टिपलक"कने और नीच्चा हथ राख ने रौ" ।छौड़ि कान्हपर राखल हाथपकरि नीच्चा ससारैत डाँरपर रखेलक ।सब संग एहिना सेल्फी राउण्ड चलैत रहल ।बीच-बीचमे हँसी-मजाखक संग पाँचो छौड़ीपर अपन-अपन हिस्सा टेबि रहल छल ।सभक पसिन कएल हिस्साक नाम सुनि छौड़ी बिहुँसि उठै छल ।हमरा सामने मंचसँ प्रोफेसर साहेब 'सीताक चरित्र'पर व्याख्यान दऽ रहल छलाह मुदा हमरा पाछूक साउण्डपर हँसी-ठहक्का आ अश्लील संवाद संग 'पांचालीक चरित्र' सुनाइ पड़ि रहल छल ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें