प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 6 जनवरी 2016

लप्रेक- हिसाव-किताब

#मैथिली_लप्रेक-10
-यै स्वीटी, कने जल्दीसँ बैग पैक क' दिऔ ।
-आइ अहाँ ऑफिस नै जाउ ।
-से कोना हेतै !आइ सालक अऔतिम दिन छै, जाइये पड़तै ।
-एहन कोन आफति आबि गेलै ।सी.एल बचल अछि ल' लिअ ने ।
-यै आइ पूरा सालक हिसाब-किताब दैक छै ।
-अरे वाह, एत' अपन कनियाँ संग भरि सालक प्रेमक हिसाब नै दैक अछि ।सोचने रही जे भरि सालक सुख-दुखक हिसाब आइ क' लितौं ।हमरा लेल त' ठीके समय नै अछि अहाँकेँ ।
-अच्छे, से बात, तखन गोली मारू ऑफिसकेँ ।  (करेजासँ साटि लेलक स्वीटीकेँ )

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें