प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 6 जनवरी 2016

लप्रेक- ग्रीटिंग

#मैथिली_लप्रेक-11
-गै स्वीटी, आइ त' जाड़क रौद जकाँ चकाचक लागै छहीं ।
-हँ रै सीन्टु, आइ न्यू इयर छै ने ।
-तखन त' अपन ई नन्हकी मुस्कानपर ई ग्रीटिंग कबूल कर ।
-अरे वाह, मुदा की कहियौ तूँ बतहू दास जकाँ बुड़बके रहि गेलहीं ।
-की भेलै गै जान ?
-ई हरियर ग्रीटिंग किए लेलहीं ?
-हरियर मने प्रकृति ताकि अपन प्रेमक गाछ हरियाएल रहै ।ओना कोन रंग लेबाक चाही ?
-लाल रंग, प्रेमक गाछ हरियाएल रहबाक लेल हमरा तोहर हाथसँ केवल लाल सेनूर चाही बस्स...
- . . . . . . . . .

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें