प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 6 जनवरी 2016

लप्रेक- प्रेरणा

#मैथिली_लप्रेक -12

"छौड़ा सिन्टुआकेँ देखै छियै अहल भोरे बैग-तैग टाँगि क' चलि दै छै ।कहाँदन कोचिंग पढ़ै लेल जाइ छै रोसड़ा ।की पढ़ै छै जानि नै !आहि रे बा आइ रवि छै तैयो चलि देलकै छौड़ा ।जरूर मटरगस्ती करै छै ।"ई सब बात सोचि घूटर ककाक भोरे भोरे बी•पी• बढ़ि जाइ छलै ।ओम्हर सिन्टुआ एरोप्लेनक रफ्तारसँ साइकिल उड़ेने जाइ आ ओहि दिनक घटनाकेँ सोचै छलै ।ओहि वेलेंटाइन दिन स्वीटीकेँ प्रपोज केने छलै आ बदलामे स्वीटी एकरा अंग्रेजीमे किदन-कहाँदन झाड़ि देने छलै ।छौड़ा किछु नै बुझने छलै ।से आब बिहार बोर्डसँ मैट्रीक पास सिन्टुआ कहै छै जे सी•बी•एस•ई• बाली स्वीटीसँ प्रेरणा भेट गेलैए ।आब ओकरा लेल अंग्रेजी सीख क' अगिला वेलेंटाइनमे अंग्रेजिया स्टाइलमे प्रपोज करतै ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें