प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 6 जनवरी 2016

लप्रेक- भरोसा

#मैथिली_लप्रेक-13

- यार मोहन, नाउ ममला इज वेरी सिरियस, हमर वियाहक बात चलि रहल छै ।
-वाह...काॅन्ग्राचुलेशन, कहिया दिन ठीक भेलौ...हा...हा...।
-ओफ-ओह, ई कोनो चुटकुला नै छलै जे, बी सिरियस यार, मामलाक नाजुकता समझैक कोशिश कर कने ।
-एहिमे सिरियस हेबाक कोन बात छै ।लोग एहिना समय एलापर मैरेज करै छै ।इट्स काॅमन ।
-हँ बच्चू, ई तऽ काॅमन जरूर छै मुदा तोहर भोथ दिमागमे किए ने घुसै छौ जे हमर बियाहक बात छै ।
-गै राधा...तोहर बियाहक बात छै तें ने निश्चिन्त छी ।
-आर यू मैड यार ? ई निश्चिन्तताक नै, चिन्ताक बात छै ।
-यू आर राँग दिस टाइम, हमरा अपन प्रेमपर पूर्ण भरोसा छै ते हम निफिकिर छी ।अपन प्रेम एतेक इजी वेमे नै टूटि सकै छै सो चियर्स यार ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें