प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

सोमवार, 7 जुलाई 2014

हमर मोनक जड़त्व

हमर मोनक जड़त्व

हमर मोनपर जड़त्वक प्रभाव अछि
तोहर सुरेवगर देह-दशा
तोहर कंचन चंचलता देखि हमर मोनपर
गतिक जड़त्व प्रभाव दैत अछि
मुदा
तोहर ललाउन आँखि
हमरा प्रति उदासिनता देखि
विरामक जड़त्व प्रभाव दैत अछि
जाहि बाटसँ तूँ जाइत छेँ
हमर मोन वैह बाट धरै छै
काज-धंधाक बाट नै धंगाइ छै
एवंप्रकारे दिशाक जड़त्व लगाइये दै छेँ
तोरा बुझल छौ ने ?
एकाएक उभरल तीनू प्रभाव
दुर्घटनाक कारण बनैत अछि
गतिक पहिल नियम
हमरापर बड लागू केलेँ
आब आगूओ बढ़
गतिक तेसर नियम लेल
हमर मोन उताहुल भेल छौ ।

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें