प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

सोमवार, 15 फ़रवरी 2016

10 टा कहमुकरी

ओ उपर हम निच्चा रही
ओकर स्पर्शक बात की कही
केलक देहकेँ थौआ थौआ
के सखि साजन ?
ने सखि बौआ ।
2.
कछमछ कछमछ खूब करैए
छिहुलि हाथसँ ओ भागैए
राखि पाबै छी हम त' कहुना
के सखि बौआ ?
ने सखि इचना ।
3.
मनमे उठय खूब हिलोर
जखन बैसाबथि अपन कोर
देखते रही हुनके हम ब्यूटी
के सखि साजन ?
ने स्कूटी ।
4.
घेंटक शोभा बढ़ा रहल
बिन कहने, सब सुना रहल
ओकरे पर जीवन केवाला
के सखि माला ?
ने सखि आला ।
5.

मीठ लागैए हुनकर बोल
देखिते मनमे बाजय ढोल
हुनका बिन रहलो ने जाए
के सखि साजन ?
ने सखि माए ।
6.
मोहय हुनकर कारी केश
मनमे बैसल अनुपम भेष
छथि भरल जादूक पुड़िया
के सखि साजन ?
नै सखि गुड़िया ।
7.
बाजब हुनक छै जेना संगीत
नहि देखल हुनका सन मीत
हम गाछ ओ हमर बाइल
के सखि साजन ?
नै मोबाइल ।
8.
उलझल बात सदा सुलझाबथि
सदिखन ज्ञानक बात बताबथि
भेटल अछि हुनका शक्ति दैविक
के सखि साधु ?
नै वैज्ञानिक ।
9.
मन टाँगल अछि जेना सीक
रंग-रभस हुनके संग नीक
सुंघबथि सदिखन प्रेमक नोंसि
के सखि साजन ?
नै नंदोसि ।
10.
बड रसगर छन्हि हुनकर बोल
सुनै लेल मन करय किलोल
अपन घरक छथि ओ नायक
के सखि साजन ?
नै सखि गायक

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें