प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

शुक्रवार, 26 जनवरी 2018

हैप्पी गणतंत्र दिवस


नव मशीनक युगमे बाजू, निकलत कोना काग
डीजे छोड़य तान एते जे बिसरि गेल सब राग

हिया बीचमे जहर भरल, तेँ तऽ शब्द कटाह
ककरा संगे हाथ मिलत, सब के सब मरखाह

स्वपीड़ाकेँ भोगि लिअ, आनक सुखकेँ छोड़ि
नै तऽ धधरा उठत हिया, मारत मूड़ी मचोड़ि

****&&*
लड़लौं मरलौं दाबल गेलौं, भेलौं हम स्वतंत्र आइ
हाथमे झंडा दैत सलामी, हर्षित सभक अंग आइ
टूटल बेरी भारत माँक, नोर सुखाएल सभक
अपन शासक अपन कानून, भेल छलौं गणतंत्र आइ

गणतंत्र दिवसक हार्दिक शुभकामना
********

आँखि मे खून आनि लेने छै
फौलादी छातीकेँ तानि लेने छै
देशक रक्षा लेल देशक बेटा
माँथ मे कफन बान्हि लेने छै

आगि मे तपि क सोना चमकि रहल
तहिना दुश्मन हनन लेल ललकि रहल
सोन चिड़ैयाँ भारत विश्वक मौर बनत
भारतक माटि मे तेँ आगि धधकि रहल

Happy गणतंत्र दिवस

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें