प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 नवंबर 2018

रसगर जामुन

5.24 रसगर जामुन

देखैमे गोल गोल
रंग छै कारी
जामुन छै रसगर
खाउ भरि थारी

गुद्दा छै मोट मोट
छोट छै बिच्चा
गाछसँ टुटि टुटि
खसलै निच्चा

कम्मे छै पात पात
बेसी छै फ'ले
पानिसँ धोइ धोइ
मुँहमे ध' ले

कम्मे छै मीठ मीठ
कम्मे छै खट्टा
बिकै छै हाटपर
भरि क' छिट्टा

मनसँ जे खाउ खाउ
खुश भ' जाउ
अछि बेसी बचल  त'
हमरो खुआउ

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें