प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 नवंबर 2018

घोघो रानी कतेक पानी

5.25 घोघो रानी कतेक पानी

घोघो रानी कतेक पानी ?
बात एगो तूँ बतबें नानी

नभमे कते तरेगण लटकल ?
राति इजोरिया किए छिटकल ?
कते इजोतक मोटरी बान्हने
सूरज भरि दिन किए भटकल ?

मेघ कत'सँ आनै पानी ?
घोघो रानी कतेक पानी ?

तितली किए फूलपर लुधकल ?
मूसा किए बिलमे सुटकल ?
देख दलानपर नव लोककेँ
किए सभटा कुत्ता हुलकल ?

गाइ केर भोजन सानी ?
घोघो रानी कतेक पानी ?

किए लत्ती सगरो लतरल ?
धरती छै कत' धरि पसरल ?
तिनबटिया चौबटियासँ जुड़ि
कारी सड़क कत' धरि चतरल ?
किए हवा करै मनमानी
घोघो रानी कतेक पानी ?

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें