प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अगस्त 2019

बौआकेँ कीन देबै

5.32 बौआकेँ कीन देबै

बौआकेँ कीन देबै लाले फुक्का
फुक्कामे भरतै हावा यौ
फुक्कापर चढ़ि क' जेबे रे करतै
चान धरि से दावा यौ

बौआकेँ कीन देबै पीयर मोटर
मोटरमे देतै चाभी यौ
मोटरपर चढ़ि क' जेबे रे करतै
गोवा दिल्ली धराबी यौ

बौआकेँ कीन देबै मोटगर पोथी
पोथीमे करिया आखर यौ
आखरकेँ पढ़ि क' ज्ञानी रे बनतै
भेटतै सभ ठाँ आदर यौ

बौआकेँ कीन देबै हरियर टोपी
टोपीमे लागतै सुन्नर यौ
टोपी पहिर क' हिरो रे बनतै
सभकेँ देखेतै हुन्नर यौ

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें