प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 20 मार्च 2013

मिथिलाक पोखरि


मिथिलाक गाम गाम में चर्चा छै घर -घर
दू-चरि टा छै सब ठाम सरोबर
पुरैनक पात हरियर - हरियर
कमलक फुल सुन्नर -सुन्नर
मखानक फुल मन कए लोभाबई
अनुपम दृश्य मुर्झायल फुल खिलाबई
रंग -बिरंगक माछ बसै छै
मिथालक जे शान कहाइ छै
पोखरि किनार शिव जी बिराजैथ
नहा एतै सब जल चढ़ाबैथ
बरखा रानी सब साल आबू
मिथिलाक पोखरि भरि कए राखू
हमहूँ जाइ छी माछ मारै लेल
पोखरि में स्नान करै लेल
अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें