प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

रविवार, 3 जून 2018

गरीबक नेना

एकटा प्रयास केलहुँ
"गरीबक नेना"

ल' क' हँसुआ भोरे भोरे
काटै बिघाक बिघा धान
गोबर-करसी, चौका-बर्तन
रहै समयक नै ठेकान
वयस आठ अठारह ओजन
उठा, दैछ शीतल मुस्कान
पोथी-पतरा देखय ओ नै
स्कूलसँ त' नहियें पहचान
खाली पेट आ आधे कपड़ा
भेटत छौड़ा दोकाने दोकान
समाजसँ कटल रहैए ओ
त्यागय मान, सहय अपमान
गरीबक नेना एहिना जीबै
ओकरा लेल विधना बैमान

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें