प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 20 मार्च 2013

गीत

चाँद के इ अनुप रूप देखते-2
नैन झुकायल नै जाए .मन रोकल नै जाए
दाग चन्ना(MOON)मे होई छै तैयो .
हमर चाँन त' सच मे बेदाग छै
चमकैत लाल गाल देखते-2 नैन झुकायल नै जाए . . . .

बोली सरगम सुनाबै यै सदिखन .
केश कारी सँ' झहरैत फुहार छै
मद-मस्त भरल यौवन देखते-2
नैन झुकायल नै जाए . . . . .
कोन ठाम सँ' आयल इ परी
आई लुट' लेल दिल के खजाना
"अमित" बहकल इ तिरछी नजैर सँ'
मन रोकल नै जाए नैन झुकायल नै जाए

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें