प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

सोमवार, 11 मार्च 2013

मधुमाछी

13.मधुमाछी

उड़ि उड़ि चलै बाध बोन
नव नव सुमनपर बैसै छै
पीबि पीबि कऽ रस अनमोल
मीठ मीठ सुआद बनबै छै
ओ तँ कारी मधुमाछी छै
काँटकेँ चुमै छै , दर्द सहै छै
नीक नीक गप सब बतबै छै
छोट छत्तामे लाख लाख रहि
संग सबहक रहनाइ सिखबै छै

धुआँ कऽ ओकरा लोक भगाबै
तैयो ओ मीठ मधु बाँटै छै
मारि-गारि किओ कतबो करत
हम मीठ बाजब , सिखाबै छै
सत्तमे ओ तँ साधु मधुमाछी छै

अमित मिश्र

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें