प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 17 जुलाई 2013

दुर्गा पूजा एलै

बाल कविता-89
दुर्गा पूजा एलै

चल सखी-सहेली घूमै लए
सिंगरहारकेँ चूनै लए
फुलडाली भरि भरि आनब
चम्पा, बेली, गुलाब आनब
दुर्गा पूजा आबि गेलै
घरमे कलश बैस गेलै
चल चल माँटि सानब
सुन्दर मुर्ती बनाएब
नित दिन पूजा करब
दुर्गा मैया संग खेलब
नव नव फूल आनब
सुन्नर माला गाँथब
फूल बचत तँ खेल करब
दुर्गा जननी संग मेल करब

अमित मिश्र

2 टिप्‍पणियां: