प्रशासक
हे देशक जनता
अहाँ ताकैत रहू
ताकि कऽ आनैत रहू
देश भरिमे पसरल
एक एक टा कमजोरीकेँ
अहाँ करैत रहू
ओकर समाधान
हम अहाँक पाछुएमे छी
शान्तिसँ समाधान हेतु
हम राखने रहब
अहाँक कन्हापर बन्दूक
हम छी अहाँक सेवक
शान्तिक व्यवस्थापक
देशक शक्तिशाली प्रशासक
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें