प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

बुधवार, 8 अक्तूबर 2014

गजल- एतबे समाचार अछि

गजल-2.36

सबटा अखबारमे एतबे समाचार अछि
नेना संगे भऽ रहलै सदति बलत्कार अछि

लोकक विधना बहुत बाम भेल छै युग युगसँ
तेँ परमाणुक परिक्षणसँ भेल सत्कार अछि

अटकन मटकन बहुत भेल दिअ तँ शिक्षा कठिन
कमजोरक लेल सब ठाम तेज तलवार अछि

धी बनि गर्भसँ जनम लेब बड कठिन छैक सखि
डेगे डेगे यमक यान भेल तैयार अछि

किछु पल हँसि बाजि चल कम कऽ लेब निज दुख दरद
काल्हिसँ दुख कीन आ बेच करब बेपार अछि

2222-1221-2122-12

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें