प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 10 मार्च 2015

संतुलित आहार


बाल कविता-163
संतुलित आहार

स्वस्थ जीवनक इएह वेवहार
नित लिअ संतुलित आहार

आलू कोबी सीम मटर
गाजर मुरइ लाल टमाटर
हरियर सागक करू जोगार
नित लिअ संतुलित आहार

गहूँम मकइ नै करू कात
मूंग मसुरी दालि आ भात
संगे पापर घी अचार
नित लिअ संतुलित आहार

माँछ मटन आ अंडा चिकेन
पाकल फल दूध आ मक्खन
साँझ-भोर निश्चित सचार
नित लिअ संतुलित आहार

चाट समौसा चाउमिन छोड़ू
साफ-सफाइसँ नाता जोड़ू
बासी गंदा करय बेमार
नित लिअ संतुलित आहार

3 टिप्‍पणियां: