प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

मंगलवार, 13 अक्तूबर 2015

अनका के सब दुख सुनलौं

एलवम- मैया जागू ने
अनकाके सब दुख सुनलौं,  हरलौं बिपतिया यै मैया
यै मैया यै,,  ,,,,,हमरो त सुनियौ कने अरजिया यै मैया

दुनियाँ के अन धन देलियै, देलियै माँ काया यै
हमरा पर किए दुर्गा, होइ ने ये दाया यै
हमरो दिस ताकियौ कने, हमहूँ पुजरिया यै मैया
यै मैया यै,,,,,,,,,,,

सब क्यो लोभेलक मैया, अरहुल के माला दऽ
किछु पूजा पाठ कऽ कऽ, मेवा भरि डाला दऽ
हमहूँ त आनलौं अम्बे, ललकी चुनरिया यै मैया
यै मैया यै,,,,, ,,,,,,,

अमित के अचरा चाही, रितेश के कोरा यै
दर्शन माँ दिअ एक बेर, एतबे निहोरा यै
जिद हमरो लागल अम्बे, ओगरब दुअरिया यै मैया
यै मैया यै,,,,,,,,,,,

Tarz- piyaba rahela saudi re bhauji

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें