प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

सोमवार, 1 फ़रवरी 2016

मन खेलैमे लीन रहै

230
मन खेलैमे लीन रहै

राति रहै कि दिन रहै
मन खेलैमे लीन रहै
चित्ती-कौड़ी गोट्टी-गोट्टी
नै त' खेलय खूब कबड्डी
बनि सिपाही भर्ती भ' जाए
सेना भारतक वा चीन रहै
खन क्रिकेट फुटबॉल चलै
खन हॉकी बॉलीबॉल चलै
खूब बजाबय पों पें पों पें
पिपही बंशी बीन रहै
खन तित्ती खन झुल्ला होइ
मिठाइ जनेरक गुल्ला होइ
मुड़न बियाह आ भोजो होइ
दालि भात आ मीन रहै

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें