प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

रविवार, 3 जून 2018

चरिपतिया रूप

#चरिपतिया रूप

♡♡♡♡♡♡
कने उधारी सिनेह माँगै छी
चाहै छी बतियाइ
कारी नैनक झीलमे धसि
सेनूर लगा नहाइ

∆∆∆∆∆∆∆∆∆∆
गौर वर्ण आ गोलकी मुँह अछि
जेना इजोरिया चान
एक बेर देखने मोन भरय नहिं
देखब भेल अभियान

∆∆∆∆∆∆∆∆∆∆∆
रूप अहाँकेँ रचलनि बिधाता
जेना परी हो कोनो
एहिसँ सुन्दर देखने होयब
हमरा नै अछि मोनो

∆∆∆∆∆∆∆∆∆∆∆
कारी केश लगैए अनमन
मेघ भरल अकास
मोन करै ललिया दी तकरा
बनि सूरज प्रकाश

∆∆∆∆∆∆∆∆∆∆

कते आँखिक नीन निपत्ता
देख अहाँक नैन
तैयो करी दया नै मिसियो
लुटैत रहै छी चैन

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें