प्रिय पाहुन, नव अंशु मे अपनेक हार्दिक स्वागत अछि ।

रविवार, 3 जून 2018

चरिपतिया माए

#चरिपतिया माए
♡♡♡♡♡♡
माए सदिखन माए रहै छथि
दिवसक अछि जरूरत कोन
हम चानी बनि जीबि रहल छी
माए तँ छथि सदिखन सोन

♡♡♡♡♡♡
माएक नेह गहिंरगर पोखरि
साँझ-भोर डुबै छी
कखनो नोर बहै जँ ओम्हर
चुरू लगा कऽ पीबै छी

*********
अपने दुखक माहुर खा क
हमरा मिसरी खुबै छै
माए हमर छै बड़ बतहिया
नुर नुका क' चुबै छै

∆∆∆∆∆∆∆∆∆∆∆
एहि धरतीपर माए टा छै
सब इश्वर केर मूरत
जकर माथपर माएक आँचर
धनक कोन जरूरत

∆∆∆∆∆
चिप्पी साटल साड़ी पहिरन
आधे खाना खाइ छै
बच्चा लेल जे मुस्की किनय
तकरे नाम त' माइ छै

सुझाव आमंत्रित अछि

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें